विकिपिडिया:विकिपिडिया एसियाली महिना २०१९

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
विकिपिडिया एसियाली महिना

विकिपिडिया एसियाली महिना एकटा अनलाइन सम्पादनथन प्रतियोगिता छी जे एसियाली विकिपिडिया समुदायसभक बिच सद्भाव बढाबैमे मद्दत करत । ई प्रतियोगिता सन् २०१९ नवम्बर महिना भरि चलत, ई एसियाली महिनाके मुख्य उद्देश्य मैथिली भाषाक विकिपिडियामे एसियाली राष्ट्रसभ आ नेपालक बारेमे लेखक सङ्ख्यामे बढोत्तरी आ स्तरीयता प्रदान करेबामे सहयोग करत ।

जे कियो प्रतियोगी चारि (४) आ ओइसँ बेसी लेख बनाएत हुनका एकटा पोस्टकार्ड उपहार स्वरूप आन राष्ट्रसँ प्रदान कएल जाइत ।

जे प्रतियोगी कोनो भी विकिपिडियामे सभसँ बेसी लेख बनाएत हुनका विकिपिडिया एसियाली राजदुतसँ सम्मान कएल जाइत ।

नियमसभ

  • १ नवम्बर २०१९ ०:०० सँ ३० नवम्बर २०१९ २३:५९ के बिच अहाँसभद्वारा नव लेख बनाएल गेल (ठुट लेख नै) ।
  • लेख कम से कम ३,५०० बाइट आ ३०० शब्दके होवाक चाही ।
  • लेख उल्लेखनीयताके अनुसार बनल होवाक चाही ।
  • लेखमे विश्वसनीय स्रोत, उद्दरण अनिवार्य रूपसँ होवाक चाही ।
  • लेखमे कोनो किसिमक ट्याग नै लगबाक चाही ।
  • लेख सूची नै होवाक चाही ।
  • लेख जानकारीयुक्त होवाक चाही ।
  • लेख एसियाली राष्ट्र वा अहाँक अपन राष्ट्रक बारेमे होवाक चाही ।
  • एकटा आयोजकद्वारा बनाएल गेल लेख दोसर आयोजकद्वारा जाँच कएल जाएत ।
  • टिप्पणी: अन्तिममे न्यायिक समिती द्वारा लेखकेँ जाँच कराओल जाएत ।

आयोजकसभ

  1. PANKAJ DEO (वार्ता)
  2. Tulsi Bhagat (वार्ता)

सहभागीसभ

भाग लेल जाए आ अपन योगदान एतय राखल जाए । आयोजक लेख मापदण्ड अनुरुप अछि या नै अछि से जाँच करि ठिक चिन्ह लगाओल जाएत ।

लेख पेश करी

विकिपिडिया एसियाली महिना २०१९ मे लेख पेश करी ।

उपयोगी लिङ्कसभ

एहो सभ देखी

सम्बन्धन